बंगाल : मिथिला स्टूडेंट यूनियन के कार्यकर्ता सम्मलेन ओ मिलन समारोह के आयोजन हावड़ा जिला अन्तर्गत टिकियापाड़ा के "आदर्श विद्यामंदिर हाई स्कूल" मे भेल। कार्यक्रम के प्रारम्भ गोसाउनि गीत अंजना इस्सर के गायन सँ भेल। उपस्थित अतिथि द्वारा दीप प्रज्वलित कायल गेल।
उपस्थित अतिथि मे बंगाल मे मिथिला के गौरव आ हावड़ा के पार्षद श्री कैलाश मिश्र, भूमिहार एकता मंच के अध्यक्ष एवं मैथिल शुभचिंतक श्री संजय ठाकुर, कोलकाता मे मैथिली गीत-संगीत के संरक्षक आ साहित्य प्रेमी श्री विजय इस्सर, मैथिल शुभचिंतक अजय झा, कवि अजय तिरहुतिया, कृष्ण चंद्र झा "रसिक" एवं शास्त्री जी उपस्थित छलाह। उपस्थित अतिथि के पाग ओ पुष्प स एमएसयू के कार्यकर्ता स्वागत केलनि।
अपन व्यक्तव्य राखैत कैलाश मिश्र कहलनि जे युवा वर्ग मे जोश बेसी रहैत अछि, ओ कोनो काज के नीक ढंग सँ सम्पादित के सकैत अछि, मुदा ध्यान देबाक बात ई जे काज हड़बड़ी मे नै हुए, एखन धरि जतेक राजनीती संस्था अछि, बिनु छात्र एकजुटता के कोनो कार्यक्रम सफल नहि क सकैत अछि। हम तृणमूल के छात्र नेता रही चुकल छी, हमरा एहि चीज़ के अनुभव अछि, परञ्च छात्र जौ शब्र स काज लेत त, कोनो काज असंभव नहि, हम सोशल मीडिया पर सक्रीय छी, एमएसयू के ओहि आंदोलन के हम देखलौं, जे कोना एकटा मिथिला के बेटी निकिता गुप्ता छात्र आंदोलन कयलक। एमएसयू के लोकप्रियता कहैत अछि जे ई मिथिला सह पूरा देश मे अपन परचम लहरायत।
विजय इस्सर आ अजय तिरहुतिया जी के एकमत देखल गेल, ओ कहलनि जे मिथिला-मैथिली के नाम पर बहुत संस्था चलि रहल अछि, मुदा सब विद्यापति पर्व मनाबै के लेल बनल अछि, नहि की मिथिला के विकासक कार्य लेल। एमएसयू जाहि तरहे चीनी मिल आंदोलन कयलक बुझैत अछि, विकास के डेग आस्ते-आस्ते बढ़त।
संजय ठाकुर एमएसयू के कार्यशैली के प्रशंसा करैत कहलनि जे हम सब तरह अहन सब के संग छी, मिथिला मे विकास केर आंदोलन प्रारम्भ भेल से किछु दिन सँ एमएसयू के गतिविधि सँ बुझना जा रहल अछि।
महासचिव अजय कुमार झा एमएसयू के कार्यकलाप एवं बंगाल मे एकर विस्तार पर इजोत देलनि, संगे यूथ के एमएसयू संग जुड़वाक आह्वाहन केलनि।
संस्थाक बंगाल यूनिट के अध्यक्ष विकास पाठक के धारा प्रवाह लगभग आधा घंटाक व्यक्तव्य, उपस्थित एमएसयू सेनानी सब के जोश सँ भरि देलक, संगे ओ अपन सेनानी के आगाह केलनि जे संस्था के एकजुटता के सदुपयोग करवाक चेष्टा करब। आगू दरभंगा सँ दिल्ली धरि भेल आंदोलन के विस्तार स बतओलनि।
कार्यक्रम के सञ्चालन बंगाल संयोजक समिति के अध्यक्ष डा. मायाशंकर झा केलनि। कार्यक्रम के सफल बनबै मे बंगालक कोन-कोन स एमएसयू सेनानी आयल छलाह, एमएसयू के यूनिफार्म मे बैसल सेनानी के भीड़ देखैत बनैत छल। सेनानी मे जोश तहन आरो दुगुना बढ़ी गेल, जखन पार्षद ओ छात्र नेता कैलाश मिश्र एमएसयू सेनानी के यूनिफार्म मे देख उत्साहित भ सेनानी स यूनिफार्म माँगी पहिर लेलनि।


