अरुण पाठक
बोकारो (झारखंड)। आदिवासी कला आ’ संस्कृति के संरक्षण के उद्देश्य सँ स्वयंसेवी संस्था समाज हित कल्याण समिति (एसकेएस) एवं संगीत नाटक अकादमी, संस्कृति मंत्रालय, भारत सरकार के संयुक्त तत्वावधान मे सेक्टर 5 स्थित बोकारो क्लब के सिनेमा एरिना मे दू दिवसीय सांस्कृतिक कार्यक्रम ‘मांदर’ के आयोजन कएल गेल। कार्यक्रमक उद्घाटन बोकारो के विधायक बिरंची नारायण दीप प्रज्ज्वलित कऽ केलनि। ओ अपन संबोधन भाषण मे एसकेएस व संगीत नाटक अकादमी के एहि आयोजनक सराहना करैत कहलनि जे आदिवासी संस्कृति पर केंद्रित एहि आयोजन सँ एहिठामक कलाकारसभकें प्रोत्साहन भेटत। ओ कहलनि जे कला के प्रकृति के संग पुराना नाता रहल अछि आ’ लोक संस्कृति के बचाकऽ राखक लेल एहि तरहक आयोजन जरूरी अछि।आधुनिकता व पाष्चात्य संस्कृतिक प्रभावक कारण बहुतरास पारंपरिक चीजसभ विलुप्त होईत जा रहल अछि, जकरा बचेनाई आवश्यक अछि।
संगीत नाटक अकादमी, नई दिल्ली, भारत सरकार के जेनरल काउंसिल सदस्य डाॅ संजय चैधरी अपन संबोधन मे कहलनि जे अकादमी कला व कलाकारसभक विकास के लेल प्रतिबद्ध अछि। अकादमी द्वारा पूरा देष मे कार्यक्रमसभक आयोजन कय कलाकारसभकें अपन प्रतिभा प्रदर्शित करबाक मौका देल जा रहल अछि एहि क्रम मे आदिवासी संस्कृतिक विकास के लेल दू दिवसीय ‘मांदर’ कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल अछि। भविष्य मे सेहो एहि तरहक कार्यक्रमसभक आयोजन होईत रहत। डाॅ चैधरी मांदर के सफल आयोजनक लेल एसकेएस के धन्यवाद देलनि।
प्रारंभ मे स्वागत भाषण करैत एसकेएस के अध्यक्ष रामप्रवेश सिंह संस्थाक गतिविधिसभ पर प्रकाश दैत कहलनि जे देशक विकास के लेल सशक्त समाजक निर्माण जरूरी अछि किएकतऽ सशक्त समाज के बिना कोनो सकारात्मक बदलाव नहि भऽ सकत। राज्यक मुख्यमंत्री सेहो ई स्वीकार करैत छथि जे सरकार सँ शक्तिशाली समाज होईत अछि तें एसकेएस सशक्त समाजक निर्माण के लेल कटिबद्ध अछि आ’ संस्था के समाजक सभ वर्गक सकारात्मक सहयोग सेहो भेटि रहल अछि। डाॅ संजय चैधरी विधायक बिरंची नारायण के स्मृति व शाॅल भेंटकय सम्मानित कयलनि। पहिल दिन आसस सांस्कृतिक मंच के कलाकारसभ द्वारा हो नृत्य, पिंक मानपुर के दल द्वारा सोहराय नृत्य, सियारी गोमिया के दल द्वारा बहा नृत्य की मनोहारी प्रस्तुति सभहक दिल जीति लेलक। मंच संचालन कस्तूरी सिन्हा तथा धन्यवाद ज्ञापन सीमा मिश्रा कयलनि।
कार्यक्रम दोसर दिन समापन समारोह मे सांस्कृतिक दल जटा टोल, सिवनडीह द्वारा संथाली नृत्य, सांस्कृृतिक दल सुनता रंगाडीह दसाईं नृत्य, सांस्कृतिक दल जयपाल नगर द्वारा मागे होराई नृत्य व वीणापानि दल सरायकेला-खरसावां द्वारा झूमर नृत्यक सुंदर प्रस्तुति सभहक मन जीति लेलक।
समापन समारोहक मुख्य अतिथि बेरमो के विधायक योगेश्वर महतो बाटुल अपन संबोधन मे मांदर कार्यक्रमक सराहना करैत आयोजकसभकें एहि लेल बधाई देलनि। ओ कहलनि जे एहि तरहक आयोजनक माध्यम सँ झारखंडक आदिवासी संस्कृति के बढ़ावा भेटत आ’ कलाकार लोक-संस्कृतिक संरक्षण के प्रति जागरुक हेताह। एसकेएस के गतिविधिसभक सराहना करैत ओ उम्मीद जतओलनि जे आबयवला दिन मे ई संस्था आओर सक्रियताक संग कार्य करत। श्री महतो झारखंड के पारंपरिक खाद्य पदार्थसभक खासियत के चर्चा करैत एकरा बढावा देबा पर बल देलनि।
विशिष्ट अतिथि गोमिया विधायक योगेन्द्र प्रसाद अपन संबोधन मे एहि आयोजनक लेल एसकेएस के सराहना कयलनि आ’ लोकसभकें पूर्वजसभक परंपरा के बनाकऽ रखबाक अपील कयलनि। ओ झारखंडक खान-पानक विषेशताक चर्चा करैत लोकसभकें दिखाबा के चक्कर मे नहि आबिकऽ अपन पारंपरिक खान-पानक संगहि कला-संस्कृति के अक्षुण्ण रखबाक अपील कयलनि।
समापन समारोह के संबोधित करैत डीपीएस बोकारोक निदेशक व प्राचार्या डाॅ हेमलता एस मोहन लोक संस्कृति के संरक्षणक जरूरति पर बल दैत कहलनि जे एहि लेल सभकें मिलिकऽ कार्य करबाक जरूरति अछि। ओ आदिवासी संस्कृति पर आधारित ‘मांदर’ कार्यक्रमक प्रषंसा कयलनि आ’ कहलनि जे आदिवासीसभक खासियत अछि जे ओसभ अपन कला-संस्कृति सँ दिल सँ जुड़ल छथि। नृत्य-संगीत हुनकासभक जीवनक अहम हिस्सा थिक। ओ झारखंड के व्यंजनसभक एकटा आउटलेट बोकारो मे खोलबाक जरूरति पर बल देलनि।
धन्यवाद ज्ञापन करैत एसकेएस के अध्यक्ष रामप्रवेश सिंह एहि आयोजन मे सहयोग के लेल संगीत नाटक अकादमी के संगहि बीएसएल प्रबंधन, ओएनजीसी के प्रति आभार प्रकट कयलनि। मंच संचालन कस्तूरी सिन्हा कयलनि। आयोजन मे बोकारो चैंबर आॅफ काॅमर्स के संरक्षक संजय वैद, धर्मेन्द्र जैन, समाजसेवी शशिभूषण, डीपीएस चास के प्रो-वाइस चेयरमैन एन मुरलीधरन, डीपीएस बोकारो के उपप्राचार्य प्रवीण कुमार शर्मा, एसकेएस के सचिव प्रतिमा सिन्हा, मृत्यंुजय शर्मा, सुनील कुमार मोदी, निर्माल्य शर्मा, कामिनी कांता स्वाईं, सीमा मिश्रा, योगो पूर्ति, संगीतज्ञ डाॅ राकेश रंजन, भास्कर रंजन डे, अरुण कुमार पाठक, रंजू सिंह, पूर्णेन्दु कुमार सिंह, प्रसेनजीत शर्मा, नीलेश सिन्हा सहित काफी संख्या में नगर के कलाप्रेमी उपस्थित छलाह।