बरौनी. ट्रेन दुर्घटना सं मृत्युक बाद रेलवे पुलिसक अमानवीय व्यवहार देखबा मे आयल अछि। एहि मामिलाक सोँझा अयबाक बाद रेलवे प्रशासन एहि पर कानूनी कारवाइ करबाक बात कहलक मुदा स्तिथि बदलैत नहि देखा रहल अछि। इ दृश्य मिथिलाक बेगूसराय जिलाक बरौनी स्टेशन पर देखबा लेल भेटल जतय स्टेशन पर कतौ जयबाक प्रतीक्षा मे बैसल एक यात्रीक मृत्यु भ गेल। जहन एहि मृत्यु केर जनतब रेलवे कर्मचारी के भेटल त ओ शीघ्र मामिलाक सूचना पुलिस केँ देलक आ पुलिस मुआयना करैत 2 मजदूर केँ बजओलक आ 5 फीटक लहाश अढाइ फीटक कचराक ट्रॉली मे जेना-तेना राखैत ओकरा थाना लेल पठा देलक। पुलिसक लहशक संग इ अमानवीय व्यवहार देखि रहल सैकड़ों लोकनि एकरा शर्मनाक बतओलनि आ एक बेर फेर रेलवे व्यवस्था पर कतेको तरहक सवाल ठाढ़ भ गेल।
जांचक दौरान मृतक यात्री लग सं कागजातक आधार पर ओकर पहचान समस्तीपुर जिलाक शाहपुर पटोरीक निवासी तौर पर भेल, मरल लोकक नाम अमीर शाहक रूप मे कयल गेल अछि.
जांचक दौरान मृतक यात्री लग सं कागजातक आधार पर ओकर पहचान समस्तीपुर जिलाक शाहपुर पटोरीक निवासी तौर पर भेल, मरल लोकक नाम अमीर शाहक रूप मे कयल गेल अछि.