उत्तर प्रदेशक बांदा जिलाक एक अदालत मे बड़ अजीब स्थिति उत्पन्न भ गेल, जहन एक महिला अपने घरवलाक भरल कोर्ट मे धुनि देलनि. यद्यपि पतिक धुनाइ पतिक लौटि अयबा सँ भेल, किएक त महिलाक पति 6 साल सँ निपत्ता छल आ ओकरा मरल घोषित कयल जा चुकल छल. अंततः पुलिस केँ हस्तक्षेप करय पड़ल, तहन जा क महिला अपना पति के छोड़लक. महिला अपना पतिक जमीनक झगड़ाक सुनवाइ लेल कोर्ट आयल छल.
खिस्सा एहि तरहेँ अछि - फतेहपुर जिलाक इब्राहिम नामक व्यक्ति छह साल पहिने अपन सभ खेत बेचि क निपत्ता भ गेल छल. ओकर घरवाली फरीदा जमीन खरीदय वलाक विरूद्ध मुख्य न्यायिक मजिस्ट्रेट (सीजेएम) कोर्ट मे सीआरपीसीक धारा-156 (3)क तहत प्रार्थनापत्र द मांग कयने छलीह जे हुनक पतिक हत्या क लहाश निपत्ता कयल जयबाक प्राथमिकी दर्ज कयल जाय.इसी मामिलाक सुनवाय चलिए रहल छल, तहने विपक्षी गुट केँ लागल जे कोर्ट सँ ओकरा विरूद्ध कथित हत्याक केस दर्ज करबाक आदेश भ सकैत अछि, एहि लेल ओ सभ ठीक ओहि क्षण कथित तौर पर मृत घोषित ओकरा पति केँ कोर्ट मे हाजिर क देलक. घरवला केँ कोर्ट मे देखि फरीदा आकाश सँ खसलीह. ओ एम्हर देखलनि ने ओम्हर पति केँ भरल कोर्ट सँ बाहर घीसिया क ओकरा जमि क धुनि देलनि. तमाशा देखय वलाक भीड़ लागि गेल और कोर्ट केँ पुलिस बजबय पड़ल. अदालत दुनू पक्षक दलील सुनलाक बाद महिलाक प्रार्थनापत्र निरस्त क देलक.
