दरभंगाक बहुचर्चित इंजीनियर मर्डर केस मे 10 आरोपी दोषी करार, सबूतक अभाव मे 4 गोटेँ बरी - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

मंगलवार, 27 फ़रवरी 2018

दरभंगाक बहुचर्चित इंजीनियर मर्डर केस मे 10 आरोपी दोषी करार, सबूतक अभाव मे 4 गोटेँ बरी


दरभंगा: आइ स्थानीय अदालत सड़क निर्माण सं जुड़ल दू अभियंताक रंगदारीक लेल हत्या करबाक अपराध मे 10 गोटेँ केँ दोषी ठहरौलक तथा 4 गोटेँ केँ साक्ष्यक अभाव मे बरी क देलक. दरभंगा जिलाक बहेड़ी थाना अंतर्गत शिवराम चौक लग राजमार्गक निर्माण काज करा रहल  इंजीनियर मुकेश कुमार आ ब्रजेश कुमारक गोलीबारी क हत्या क देल गेल छल. अपर लोक अभियोजक विनय कुमार सिंह बतओलनि जे अपर जिला एवं सत्र न्यायाधीश रूपेश देव - संतोष झा, मुकेश पाठक, विकास झा, निकेश दूबे, अभिषेक झा, संजय लाल देव, पिंकू लाल देव, मुन्नी देवी, पिन्टू तिवारी एवं पिन्टू झा केँ हत्याक विभिन्न धाराक तहति दोषी पओलनि. सजा पर सात मार्च केँ सुनवाइक तिथि निर्धारित कयल गेल अछि.

Post Top Ad