एखनहुँ देरी सँ, मुदा भेटैत अछि इन्साफ! माय केर हत्यारा केँ 'करण-अर्जुन' दियओलक आजीवन कारावास - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शनिवार, 10 मार्च 2018

एखनहुँ देरी सँ, मुदा भेटैत अछि इन्साफ! माय केर हत्यारा केँ 'करण-अर्जुन' दियओलक आजीवन कारावास

देश मे आजुक हतोत्साहित क देबय वला ओझरायल न्याय प्रक्रिया, वकिल द्वारा पीड़ितक दुःख के अनदेखा करैत अपन स्वार्थक लेल कयल जाइत लूटि, आ ओझरायल कानूनी पेंच केँ देखैत आइ कोर्ट सँ तत्काल न्याय केर आस लगायब एगो दिवास्वप्न जकाँ भेल अछि. लोक न्यायक लेल कतेको साल धरि कोर्टक चौखटि पर कपाड़ फोरैत रहैत अछि मुदा ओतेक साल बादो न्याय भेंटत की नहि तकर उमेद कमे रहैत अछि.  अपराधी केँ सजा दिअयबाक निरंतर प्रतिबद्धता पीड़ितक मोन मे धैर्यक पहाड़ ठाढ़ क देइत, जकरा हिलायब असंभव अछि से मुजफ्फरपुर मे साबित भेल अछि. 
कहल जाइत अछि जे ''भगवानक घर मे देर त अछि, अन्हार नहि'' एही कहबी केँ चरितार्थ करैत इ घटना मुजफ्फरपुर मे देखल गेल, अंततः चारि साल बादो इन्साफ पीड़ितक झोली मे देबय लेल कानून के सेहो मजबूर होमय पड़ल. मुजफ्फरपुर मे दू गोट नाबालिग बच्चा  अपना मायक हत्यारा केँ उम्रकैदक सजा दियओलक अछि. मुजफ्फरपुरक एडीजे 6क अदालत हत्यारा मास्टर शम्भू राम केँ आजीवन कारावासक संग-संग दस हजारक जुर्माना सेहो लगओलक अछि. सरैया थानाक चकमधुआक रहय वला करण-अर्जुन जाकर उमरि मात्र 10 आ 14 साल अछि तकरा मायक हत्या बरुराजक मास्टर शम्भू राम खत्ता मे डूमा क 2014 मे क देने छल. एहि  केस मे सभ गवाहक संग-संग एहि बच्चाक घरक लोक सभ सेहो गवाही नहि देने छल मुदा  दुनू बच्चाक गवाही आ तत्परता सँ अपराधी केँ आजीवन कारावास केर सजा सुनाओल गेल. सरैयाक वीणा देवीक लहाश 13 अगस्त 2014 केँ कुढनीक तुर्की ओपी मे तिरहुत नहर मे भेटल छल. अनुसंधान मे पता चलल जे शम्भू राम जमीनी विवादक एक केस मे मदतिक बहाने घर सँ बाइक ल क गेल आ नहर मे डूमा क ओकरा मारि देलक. तुर्की ओपी मे एहि कांडक यूडी केस दर्ज कयल गेल मुदा बाद मे एहि बच्चाक पहल पर हत्याक केस दर्ज भेल. एहि कांडक सभ गवाह समयक संग मुकरि गेल मुदा कांडक अनुसंधानकक संग संग दुनू बच्चा अडिग रहल आ शिक्षक शंभु रामक अपराध साबित भ गेल. कोर्ट मे इ फैसला अबिते भीड़ लागि गेल आ सभक मुँह पर एहि केसक खिस्सा रहल. लोक एहि  दुनू बच्चा केँ देखबाक लेल जमा भ गेल आ शाबाशी देबय लागल. केसक सरकारी वकील बतओलनि जे एहि फैसलाक सभ बिंदु मेँ कोर्ट करण-अर्जुनक चर्च कयलक अछि.

Post Top Ad