दरभंगा हत्याकांड : पुलिसक जांच पर मुँह बओने ठाढ़ अछि कतेको प्रश्न! - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शनिवार, 17 मार्च 2018

दरभंगा हत्याकांड : पुलिसक जांच पर मुँह बओने ठाढ़ अछि कतेको प्रश्न!


दरभंगा. दरभंगा मे 'मोदी चौक' केँ ल क भेल हत्याक मामिला भनहि जमीनी झगड़ा मे बदलैत देखबा मे आबि रहल होअय मुदा किछु प्रश्न एखनहु दरभंगा पुलिसक सोझाँ मुँह बओने ठाढ़ अछि. जेना कि घायल कमलदेव यादव उर्फ भोला यादवक बयान पर प्राथमिकी दर्ज़ नहि क  पुलिस घरक महिलाक बयान पर प्राथमिकी दर्ज़ किएक कयलक? जखनकि पीड़ित कमलदेव बजबाक स्थिति मे अछि आ घटनाक समय सेहो पुलिस केँ अपन बयान दर्ज़ करौने छल.  दोसर प्रश्न इ अछि जे जखन घटनाक पाछू केर उद्देश्य साफ नहि अछि तहन पुरान जमीनक रंजिश पर पुलिसक ध्यान केंद्रित किएक अछि? तेसर प्रश्न अछि कि जमीन विवाद रहैत मृतक केर कोनो दोसर कारण सँ हत्या नहि भ सकैछ ? चारिम प्रश्न अछि- जं जमीन केँ ल विवाद पुरान छल त हत्या एखन किएक कयल गेल? अंततः हत्या दिन कि भेल छल? पांचम प्रश्न- घरक महिलाक बयान पर प्राथमिकी दर्ज़ किएक भेल जखनकि घटना मे घायल एक गोट जीवैत अछि आ बाजय केर स्थिति मे अछि. इ सभ प्रश्न कतहु ने कतहु प्रश्नवाचक चिन्ह लगबैत अछि आ मोन केँ विस्मित करैत अछि.

Post Top Ad