पत्रकार हत्याकांड : बिहार सरकार केँ नोटिस पठओलक मानवाधिकार आयोग - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

बुधवार, 28 मार्च 2018

पत्रकार हत्याकांड : बिहार सरकार केँ नोटिस पठओलक मानवाधिकार आयोग

पटना: बिहारक आरा मे भेल पत्रकार हत्याकांड केँ ल' क' राष्ट्रीय मानवाधिकार आयोग बिहारक मुख्य सचिव आ राज्य पुलिस प्रमुख केँ नोटिस जारी कयलक अछि. मीडिया मे आयल खबरि    पर संज्ञान लैत आयोग कहलक जे 25 मार्च केँ भेल घटना पत्रकारक सुरक्षा पर सवाल उठबैत अछि. द इंडियन फेडरेशन ऑफ वर्किंग जर्नलिस्ट' (आईएफडब्ल्यूजे) घटनाक निंदा कयलक  आ आरोपिक विरूद्ध कड़गर कार्रवाइक मांग कयलक़ अछि. बताओल जाएत अछि जे आरोपी लोकनिक पत्रकार सं कथित तौर पर
विवाद भेल छल, जाहिमे आरोपी पत्रकार लोकनि केँ गंभीर परिणाम भुगतबाक धमकी देने छल. एकर किछुए काल बाद पत्रकारक बाइक केर पूर्व ग्राम प्रधानक एसयूवी सं धक्का मारल गेल आ पिचा क' दुनू पत्रकारक मृत्यु भ गेल.

Post Top Ad