जोकीहाट विधानसभा मे राजद केर जीतक बाद उठल ''ब्रांड नीतीश'' पर सवाल, जेडीयू कहलक - हारिक लेल मोदी सरकार जिम्मेदार - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

गुरुवार, 31 मई 2018

जोकीहाट विधानसभा मे राजद केर जीतक बाद उठल ''ब्रांड नीतीश'' पर सवाल, जेडीयू कहलक - हारिक लेल मोदी सरकार जिम्मेदार


पटना. पेशा सँ कहियो इंजीनियर रहल बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एक बेर फेर लालू प्रसाद यादवक सोशल इंजीनियरिंगक आगू पस्त देखा रहल छथि. जोकीहाट विधानसभा उपचुनाव मे 24 दौर धरि चलल मतगणनाक बाद आरजेडी उमेदवार शहनवाज आलम 41 हजार सं बेसी वोटक अंतर संग जीत अपना नाम क लेलनि. आरजेडी पहिल बेर  एहि ठाम विजय भेल अछि. जोकिहाट मे हारि सँ ब्रैंड नीतीश पर सेहो सवाल उठल अछि, किएक त नीतीश सरकार एहि सीट केँ बचयबा मे पूरा जोर लगा देने छल। ओम्हर, इ जीत आरजेडी मे तेजस्वीक कद केँ आओर मजगूत करत। एहि हारिक बाद बिहार मे जेडीयू-बीजेपीक गठजोड़ सेहो डंवाडोल नजरि आबि रहल अछि. जेडीयू नेता केसी त्यागी कहलनि अछि जे हारि सँ सबक लेबाक जरुरति अछि आ गठबंधन मे सहयोगी दल अलग-थलग महसूस क रहल छथि. जेडीयूक महासचिव केसी त्यागी परिणामक बाद कहलनि जे पूरा देश मे पेट्रोल-डीज़लक बढ़ैत दामक विरूद्ध तामस अछि. एकरे असरि उपचुनाव मे सेहो पड़ल अछि. हम अपील करैत छी जे पेट्रोल-डीजलक दाम मे कटौती होयबाक चाही.
उपचुनाव मे हारि केँ पार्टी भनहि गंभीरता सँ नहि लैत होअय, मुदा इ परिणाम बहुत किछु संकेत द रहल अछि. जँ विपक्ष एकजुट होइत अछि त' भाजपाक हारिक संभावना बेसी देखाइत अछि, जाहि ठाम विपक्ष बँटायल नजरि अबैत अछि, ओहि ठाम भाजपा जीति जाएत अछि। एहि बार उपचुनाव मे यैह देखबाक लेल भेटल 

Post Top Ad