'दहेज कैलकुलेटर' वेबसाइट पर मेनका गांधी केर एक्शन - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

गुरुवार, 31 मई 2018

'दहेज कैलकुलेटर' वेबसाइट पर मेनका गांधी केर एक्शन

दहेज लेब वा देब दुनू कानूनन अपराध घोषित अछि, मुदा अपना समाज मे इ कुरीति कोन तरहे पैर जमयने अछि इ एहि सँ पता चलैत अछि जे एक वेबसाइट अछि दहेज कैलकुलेटर, जे दुलहक उमरि, आमदनी, योग्यता, रंगरूप, पारिवारिक हैसियत आ जातिक आधार पर दहेजक रेट (दाम) बतबैत अछि।एतबेय नहि वेबसाइट लोक केँ बियाह मे भेटय वला दहेजक अनुमान बतबैत इहो सलाह दैत अछि जे ओकरा एखन बियाह करबाक चाही वा नहि।
इ वेबसाइट सरकारक नजरि मे आबि गेल अछि आ एहि पर कानूनी एक्शन लेब शुरू भ गेल अछि। महिला एवं बाल विकास मंत्री मेनका गांधी वेबसाइट पर तत्काल रोक लगयबाक लेल आईटी मंत्री रविशंकर प्रसाद केँ चिट्ठी लिखलनि अछि. एकरा अलावा महिला एवं बाल विका
स मंत्रालय मामिला मे दहेज निरोधक कानूनक अंतर्गत कार्यवाही शुरू क रहल अछि।
मेनका गाँधी केर कहब छनि जे एहि तरहक वेबसाइट ने मात्र घटिया अछि अपितु गैरकानूनी सेहो अछि। इ वेबसाइट दहेज केँ बढ़ावा दैत अछि। मेनका गांधी  कहलनि अछि जे ने मात्र वेबसाइट ब्लाक कयल जाय अपितु ओकर मालिक आ वेबसाइट होस्ट करय वला एजेंसीक विरूद्ध सेहो कार्रवाई कयल जाय।

Post Top Ad