यूपीक डिप्टी सीएम दिनेश शर्माक विवादित बयान- 'सीता जी केर जन्म ट्यूब बेबी केर उदाहरण' - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शुक्रवार, 1 जून 2018

यूपीक डिप्टी सीएम दिनेश शर्माक विवादित बयान- 'सीता जी केर जन्म ट्यूब बेबी केर उदाहरण'


बेसी काल बीजेपी केर लेल ओकर स्वयं केर नेता विवादित बयान द अपना लेल मोसिबत ठाढ़ करैत छथि. एहि बेर उत्तर प्रदेशक डिप्टी सीएम दिनेश शर्मा आगू अयलाह अछि. मथुरा मे हिंदी पत्रकारिता दिवसक एक कार्यक्रमक दौरान भारतक तकनीकक बखान करैत करैत उत्तर प्रदेशक डिप्टी सीएम दिनेश शर्मा मैथिल अस्मिता केर प्रतीक माता सीता पर विवादित बयान द' देलनि अछि. दिनेश शर्मा कहलनि जे सीता जी टेस्ट ट्यूब बेबी भ सकैत छथि. कार्यक्रमक दौरान ओ कहलनि अछि जे - सीता जीक जन्म घैलक माध्यम सँ भेल छल, जे ओहि समय टेस्ट ट्यूब सँ संतानोत्पत्ति केर एगो तरीका छल.ओ कहलनि जे एहि सँ इ साबित होइत अछि जे तखनो टेस्ट ट्यूब बेबीक तकनीक रहल होयत। टेक्नोलॉजीक उदाहरण दैत उप मुख्यमंत्री महाभारत काल केर संजय आ धृतराष्ट्र केर सेहो उदाहरण देलनि आ संजय एवं धृतराष्ट्र केर संवाद केँ लाइव टेलीकास्ट बतओलनि.

Post Top Ad