बिहार मे शराब पीबय-बेचय वला 1 लाख 33 हजार 339 आरोपी पर मोकदमा, एखन धरि मात्र 141 गोटे केँ भेटल सजा - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

बुधवार, 3 अक्तूबर 2018

बिहार मे शराब पीबय-बेचय वला 1 लाख 33 हजार 339 आरोपी पर मोकदमा, एखन धरि मात्र 141 गोटे केँ भेटल सजा


बिहार मे शराबबंदी कानून केँ ल' सरकार भनहि कतेको दावा क' लिअय मुदा वास्तविकता यैह अछि जे पुलिस आ उत्पाद विभाग एहि अपराध मे सजा दिअयबा मे फिसड्डी साबित भ' रहल अछि. एकरे परिणाम अछि जे 12 सितंबर धरि शराब पीबय आ एकरा तस्करीक अपराध मे मात्र 141 लोकनि केँ सजा भेल. जाहि लोकनि केँ सजा भेल ओहिमे 52 शराब पीबय वला आ 0 89 शराब बेचय वला अछि. ओतय उत्पाद विभाग द्वारा दर्ज मोकदमा मे सर्वाधिक मामिला शराब पीबय सँ जुड़ल अछि. बिहार मे शराबबंदी कानूनक तहति अप्रैल 2016 सँ 12 सितंबर 2018 धरि एक लाख 33 हजार, 339 मामिला दर्ज कयल गेल अछि. एहि मे 52 हजार,185 मामिला उत्पाद विभाग दर्ज करओलक जखनकि पुलिस 81 हजार,154 प्राथमिकी दर्ज कयलक अछि. एहि दरम्यान उत्पाद विभाग आ पुलिस मिलि क' एक लाख 61 हजार 620 लोकनिक गिरफ्तारी कयलक.

Post Top Ad