
मोदी कहलनि ‘‘बीतल चारि सालमे कतेको महापुरुषक संग्रहालय सन हरियाणा मे सर छोटूराम, कच्छ मे श्यामजी कृष्ण वर्माक स्मारक बनाओल गेल अछि। 26 नवंबर केँ संविधान दिवस मनयबाक घोषणा कयल गेल अछि। मुदा किछु लोक एकरा राजनीतिक चश्मा सँ देखबाक प्रयास करैत छथि। एहन अनुभव कराओल जाएत अछि जे हम कोनो बहुत पैघ अपराध क' देने होइ।’’ प्रतिमाक अनावरणक बाद एहि पर वायुसेनाक एमआई-17 हेलिकॉप्टर सँ फूलक बरखा कयल गेल.
मोदी कहलनि दुनियाक इ सभ सँ ऊंच प्रतिमा ओहि लोकक साहस, संकल्पक मोन पाड़ैत रहत जे मां भारती केँ खंड-खंड टुकड़ा क' देबाक षड्यंत्र नाकाम कयलनि। एहन महापुरुष केँ हम शत-शत नमन करैत छी.