मिथिला एकेडमी मे मणिपद्म जयंती सह मैथिली कवि सम्मेलन आइ - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शनिवार, 3 नवंबर 2018

मिथिला एकेडमी मे मणिपद्म जयंती सह मैथिली कवि सम्मेलन आइ


अरुण पाठक
बोकारो। मैथिली भाषीसभक प्रतिष्ठित संस्था मिथिला सांस्कृतिक परिषद् द्वारा शनिदिन 3 नवबंर 2018 के साँझ मे 6ः30 बजे सँ 9ः30 बजे तक सेक्टर 4 स्थित मिथिला एकेडमी पब्लिक स्कूलक प्रांगण में भव्य कविसम्मेलनक आयोजन होयत। साहित्य अकादमी पुरस्कार प्राप्त सुप्रसिद्ध साहित्यकार डाॅ ब्रजकिशोर वर्मा ‘मणिपद्म’ के जयंती के उपलक्ष्य मे आयोजित भऽ रहल एहि कवि-सम्मेलन मे बाहर सँ आमंत्रित मैथिली भाषा के लब्ध प्रतिष्ठित कविगण काव्यपाठ करताह। आमंत्रित कविसभ मे लब्ध-प्रतिष्ठित वरिष्ठ कवि-गीतकार डाॅ चन्द्रमणि, सियाराम झा ‘सरस’, बुद्धिनाथ झा, श्यामल सुमन, पम्मी प्रिया, हरिश्चन्द्र झा हरित, किसलय कृष्ण प्रमुख छथि। 
आयोजनक तैयारीसभकें अंतिम रुप देबाक लेल परिषद् कार्यकारिणीक एकटा बैसक मिथिला एकेडमी पब्लिक स्कूलक सभागार मे आयोजित भेल। परिषद्क अध्यक्ष कुमुद कुमार ठाकुर के अध्यक्षता मे आयोजित एहि बैसक मे महासचिव राजेन्द्र कुमार, संयुक्त सचिव मायानन्द झा, कोषाध्यक्ष विवेकानंद झा, सांस्कृतिक कार्यक्रम निर्देशक अरुण पाठक, मिथिला एकेडमी पब्लिक स्कूलक सचिव रवीन्द्र झा, पूर्व महासचिव हरिमोहन झा सहित रंजन कुमार कर्ण, सुनील मोहन ठाकुर, प्रमोद कुमार झा, मनोज कुमार झा, गोविन्द कुमार झा, विजय कुमार झा, हरिश्चन्द्र झा आदि उपस्थित छलाह। परिषद्क महासचिव राजेन्द्र कुमार सभ काव्य प्रेमी सँ एहि कार्यक्रम मे आबिकऽ काव्यपाठक आनंद लेबाक अपील कयलनि अछि। 

Post Top Ad