आइ करवा चौथ; मुदा भारत मे पतिक उमरि दुनियभरिक पतिक मोकाबिला बहुत कम! - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शनिवार, 27 अक्तूबर 2018

आइ करवा चौथ; मुदा भारत मे पतिक उमरि दुनियभरिक पतिक मोकाबिला बहुत कम!


आइ 'करवाचौथ' केर पावनि अछि. एहि पावनि पर विवाहित स्त्री अपन पतिक पैघ उमरिक लेल व्रत रखैत छथि.  2011 केर जनगणनाक अनुसार भारत मे 58 करोड़ 64 लाख महिला छथि. जाहिमे सँ आधा सँ बेसी विवाहित छथि. भारत मे लगभग 30 करोड़ महिला विवाहित  छथि. एहि आधार पर कहि सकैत छी जे भारत मे करोडो पत्नी आइ अपना पतिक पैघ उमरिक लेल व्रत रखने हेतीह. करवाचौथ मात्र नहि तीज, बरसाइत सँ और सेहो कतेको पावनि अछि  जाहिमे महिला अपना पतिक पैघ उमरिक लेल व्रत करैत छथि. मुदा व्रत राखल जयबाक कतेको सदी पुरान परंपरा होयबाक बादो भारत मे पति लोकनिक उमरि दुनियभरिक पतिक मोकाबिला बेसी नहि भ' सकल अछि.

दुनिया मे सभ सँ बेसी जिबैत अछि जापानी

2017 मे जापानक कुल जनसंख्या 12 करोड़ 68 लाख छल. जाहिमे कुल 6 करोड़ 18 लाख पुरुष अछि. जापान टाइम्सक रिपोर्टक अनुसार 50 सालक उमरि धरि हर 4 मे सँ 1 माने एक चौथाइ जापानिक बियाह नहि होइत अछि. माने जापान मे कुल पति 4 करोड़ 6 लाख अछि. दुनिया भरि मे लोकक औसत उमरि सभ सँ बेसी जापान मे अछि. ओना एतय लगभग सभ लोकनि 83 साल सँ बेसी जिबैत अछि मुदा पुरुखक उमरि लगभग 81 साल रहैत अछि. महिलाक औसत उमरि एतय 86 साल अछि.
ओतहि भारत मे पुरुखक कुल जनसंख्या 62 करोड़ 37 लाखक लगभग अछि. जाहिमे सँ 33 करोड़ 36 लाख सँ बेसी विवाहित अछि अर्थात पति बनि चुकल छथि. दुनिया भरि मे सभ सँ  बेसी उमरि धरि जीयबाक मामिला मे भारतीय लोकनिक नंबर 125म अछि. 

Post Top Ad