अयोध्या विवाद: राम मंदिर मामिला मे टलल सुनवाइ - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

सोमवार, 29 अक्तूबर 2018

अयोध्या विवाद: राम मंदिर मामिला मे टलल सुनवाइ



आब जनवरी 2019 मे सुनवाइ करत सुप्रीम कोर्ट

राम मंदिर फैसला केर आस मे बैसल रामभक्त लोकनि केँ एक बेर फेर सुप्रीम कोर्ट दिस सँ झटका लागल अछि. अयोध्या राम मंदिर-बाबरी मस्जिद जमीनक मालिकाना हक केर झगड़ा ल' सुप्रीम कोर्ट मे सुनवाइ अगिला साल जनवरी धरि टालि देल गेल अछि। मुख्य न्यायाधीश जस्टिस रंजन गोगोई केर नेतृत्व मे तीन नव जजक बेंच सुनवाई करैत मामिला 2019 धरि रोकि देलक। जनवरी मे इ तय होयत जे कोन बेंच एहि मामिलाक सुनवाइ करत आ एकर  अगिला तारीख तहने तय होयत। एहि बेंच मे चीफ जस्टिस रंजन गोगोईक अलावा जस्टिस कौल आ जस्टिस केएम जोसेफ शामिल छथि.

Post Top Ad