हावड़ा मे मिथिला सेवा समिति द्वारा विद्यापति स्मृति पर्व केर आयोजन काल्हि - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शनिवार, 29 दिसंबर 2018

हावड़ा मे मिथिला सेवा समिति द्वारा विद्यापति स्मृति पर्व केर आयोजन काल्हि

 बेलुड़ मे होयत मैथिल कलाकारक जुटान 


बेलुड़ (हावड़ा). मिथिला सेवा समिति बेलुड़, 178 , पूर्व सापुईपाड़ा, बेलुड़, हावड़ा-7111206 द्वारा केर तत्वावधान मे विद्यापति स्मृति पर्व केर आयोजन कयल गेल अछि. जे काल्हि रविदिन, दिनांक 30 दिसंबर, 2018 केँ बेरुपहर 4.30 बजे सँ निस्को स्टाफ क्वार्टर (गवर्मेन्ट हाऊसिंग) बेलुड़ स्टेशन लग होयत. कार्यक्रमक उद्घाटन रामलोचन ठाकुर द्वारा कयल जायत. मुख्य अतिथि केर रूप मे पश्चिम बंगाल सरकारक मंत्री, (पिछड़ा वर्ग उन्नयन) राजीव बनर्जी उपस्तिथ रहताह. एहि केर अलावा कतेको गणमान्य लोकनिक उपस्तिथि रहत. कार्यक्रम मे मिथिलाक सुप्रसिद्ध गायक, गायिका लोकनिक सेहो जुटान होयत, जाहि मे माधव राय, जुली झा, अंजना इस्सर, कंचन पांडेय, प्रकाश झा आदि लोकनि उपस्तिथ रहताह. कार्यक्रमक सञ्चालन बुद्धिनाथ झा (बोकारो) एवं रामसेवक ठाकुर (दरभंगा) द्वारा कयल जायत.

Post Top Ad