नहि रहलाह अनेक महाकाव्यक रचयिता महाकवि दया कान्त झा - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

सोमवार, 14 जनवरी 2019

नहि रहलाह अनेक महाकाव्यक रचयिता महाकवि दया कान्त झा

 अरुण पाठक
बोकारो। बोकारो इस्पात संयंत्र के शिक्षा विभाग सँ अवकाश प्राप्त संस्कृत शिक्षक आ’ मैथिली साहित्य के सशक्त हस्ताक्षर महाकवि दया कान्त झाक निधन सँ साहित्य जगत मर्माहत अछि। अनेक महाकाव्य के रचयिता महाकवि दया कान्त झा विगत किछु वर्ष सँ बीमार चलि रहल छलाह आ’ शुक्रदिन (11 जनवरी 2019) कऽ बोकारो जनरल अस्पताल (बीजीएच) मे ओ अंतिम सांस लेलनि। बिहार के मधुबनी जिलान्तर्गत सड़रा ग्राम के मूल निवासी आ’ वर्तमान मे बोकारो के चीराचास स्थित आशियाना गार्डेन कालिका विहार काॅलोनी निवासी महाकवि दया कान्त झाक मैथिली भाषा मे लिखल तीनटा महाकाव्य ‘प्रणय-परीक्षा’, ‘निष्प्राण-स्वप्न’ व ‘पांचाली-परिणय’ चर्चित व प्रशंसित अछि। बोकारो मे मैथिली साहित्यकारसभक प्रखर संस्था ‘साहित्यलोक’ सँ ओ स्थापनाकाले सँ जुड़ल छलाह। एकर अलावा मैथिलसभक प्रतिष्ठित संस्था मिथिला सांस्कृतिक परिषद् सँ सेहो हुनक आत्मिक जुड़ाव छल। ओ बहुत सहज व व्यवहार कुशल यक्तित्वक स्वामी छलाह। ओ जीवन पर्यन्त साहित्य व सामाजिक कार्यसभ सँ जुड़ल रहलाह। हुनक निधन सँ साहित्य व सामाजिक क्षेत्र मे जे खालीपन आयल अछि तकर भरपाई संभव नहि अछि। 
हुनक असामयिक निधन सँ बोकारोक साहित्य व शिक्षा जगत शोकाकुल अछि। ‘साहित्यलोक’ के संस्थापक महासचिव व वरिष्ठ शिक्षाविद् तुलानन्द मिश्र, वर्तमान संयोजक अमन कुमार झा, वरिष्ठ साहित्यकार बुद्धिनाथ झा, गिरिजा नंद झा ‘अर्धनारीश्वर’, कुमार मनीष अरविन्द, उदय कुमार झा, विजय शंकर मल्लिक, हरि मोहन झा, सतीश चंद्र झा, भुटकुन झा, विनय कुमार मिश्र, अमीरी नाथ झा ‘अमर’, राजीव कंठ, उषा झा, भावना वर्मा, गंगेश पाठक, राम नारायण उपाध्याय, डाॅ नर नारायण तिवारी, राष्ट्रीय कवि संगम, बोकारो महानगर इकाई के अध्यक्ष अरुण कुमार पाठक, महासचिव ब्रजेश पांडेय, मिथिला सांस्कृतिक परिषद्, बोकारो के अध्यक्ष कुमुद कुमार ठाकुर, उपाध्यक्ष अनिल कुमार व कवितेश कुमार, महासचिव राजेन्द्र कुमार, कोषाध्यक्ष विवेकानंद झा, मिथिला एकेडमी पब्लिक स्कूल के अध्यक्ष रामाधार झा, सचिव रवीन्द्र झा, मिथिला महिला समितिक अध्यक्ष अमिता झा, अंजु झा, संपूर्ण विप्र समाज के महासचिव श्रवण कुमार झा, मैथिली कला-मंच काली पूजा ट्रस्ट के अध्यक्ष के सी झा, महासचिव सुनील मोहन ठाकुर, राष्ट्रीय संस्कृत प्रसार परिषद् के शशिभूषण त्रिपाठी, संस्कृत भारती के डाॅ आर के झा, रामवचन सिंह सहित विभिन्न संस्थाक पदाधिकारीसभ महाकवि दया कान्त झाक निधन पर शोक संवेदना प्रकट कयलनि अछि आ’ हुनक निधन के अपूरणीय क्षति बतओलनि अछि। 

Post Top Ad