मकर संक्राति पर रिलीज होएत मैथिली सिनेमा लव यू दुल्हिन केर ट्रेलर, तैयारी पूरा - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

मंगलवार, 15 जनवरी 2019

मकर संक्राति पर रिलीज होएत मैथिली सिनेमा लव यू दुल्हिन केर ट्रेलर, तैयारी पूरा


न्यूज डेस्क। 15 जनवरी मंगलदिन मकर संक्रांति केर सुअवसर पर श्रीराम जानकी फिल्मस् दिससं मिथिलावासी कें सौगात भेटए जा रहल अछि. मिथिलाक बहुचर्चित नवनिर्मित मैथिली सिनेमा लव यू दुल्हिन केर ट्रेलर लॉन्च कएल जाएत। खबर अछि जे दिल्लीक ककरौला स्थित महिला पार्क केर मीटिंग हॉल में एहि सिनेमाक ट्रेलर लॉन्च होएत। एहि सुअवसर पर श्रीराम जानकी फिल्मस के स्वामी आ लव यू दुल्हिन केर निर्माता बिष्णु पाठक- रंजनीकांत पाठक आ निर्देशक मनोज श्रीपति सहित मिथिलाक अन्य गणमान्य व्यक्ति लोकनि केर उपस्थिति रहतनि। अपने के बता दि जे, सिनेमा लव यू दुल्हिन कुशहा त्रासदी पर आधारित अछि। जाहिमें बाढि केर विभीषिका सं मारल-झमारल परिवारक बीच सं एकटा अमर प्रेम कें प्रस्फुटित कए रूपहले पर्दा पर उतारबाक कोशिश कएल गेल अछि। एहि सिनेमा में प्रेम आ पीड़ा छैक रोमांस आ मारधारो सेहो छैक एहन गप सुनबामें आबि रहल अछि।
निर्माता बिष्णु पाठक केर कहब छन्हि जे इ सिनेमा सभ वर्ग कें धियानमें राखि बनाओल गेल अछि. ओना त बिहार में बाढि के बारे में के नहि जनैत अछि मुदा ओहि बाढि केर रौद्र रूप कें बड़का पर्दा पर पहिलबेर देखएबाक प्रयास कएल गेलैया। संगीत पहिनहिसं लोकसभहक पसिन बनल अछि आ आशा करै छी जे एहि सिनेमाक ट्रेलर देखलाक बाद दर्शक लोकनि आओर बेसि उत्साहित हेताह आ एहि सिनेमा कें देखबाक लेल आओर मैथिल भाई- बंधु लोकनिकें प्रेरित करताह। ओ इहो जनतब देलनि जे, इ सिनेमा सर्वप्रथम दिल्लीक लगभग आधा दर्जन सं बेसि सिनेमा हॉल प्रदर्शित होएत।
अपनेक बता दि, जे एहि सिनेमा में अधिकतर मैथिल कलाकार केर तव्वजों देल गेल अछि। एकर मकसद इ नहि जे निर्माता क्षेत्रवाद सं प्रेरित भए एहन काज कएला अहि। हुनक एक मात्र उद्देश्य मैथिल कलाकार कें अपन घरे में कला केर जौहर देखएबाक अवसर देनाई अछि।
एहि सिनेमा केर स्टार कास्ट छथि, मैथिली के सुपरस्टार गायक विकास झा, सुर-संग्राम विजेता आलोक, प्रतिभा पांडेय, पूजा पाठक, शुभ नारायण मिश्र, विजय मिश्र, अमिय कश्यप।
सुधीर झा, विक्की,.......केर लिखल गीत कें संगीत सं सजौने छथि मैथिली-भोजपूरी केर जानलमानल संगीत निर्देशक धंन्नजय मिश्रा आ स्वर देने छथि विकास झा, आलोक, इनु सोनाली, देवानंद झा, अल्का झा, कल्पना, धन्नजय मिश्रा।

Post Top Ad