अरुण पाठक
झारखंड (बोकारो): बोकारो के प्रतिभासभ हर क्षेत्र मे अपन प्रतिभाक चमक बिखेरिकऽ इस्पात नगरीक नाम रोशन कऽ रहल छथि। एकटा ऐहने प्रतिभा छथि
मिथिलांचलक बेटी आ’ बोकारो मे पहल-बढ़ल मधुप्रिया। मधुप्रिया महिलासभक राष्ट्रीय स्तरक प्रसिद्ध प
त्रिका ‘वनिता’ के कवरगर्ल बनिकऽ बोकारो आ’ मिथिलांचल के गौरवान्वित कयलनि अछि। मासिक पत्रिका ‘वनिता’ के अप्रैल 2019 अंक मे मधुप्रिया के फोटो कवर पेज पर छपल अछि आ’ अंदर के पृष्ठसभ पर मधुप्रिया पर सचित्र विशेष कवरेज व इंटरव्यू सेहो प्रकाशित भेल अछि।
दिल्ली पब्लिक स्कूल, बोकारो सँ प्लसटू तक शिक्षा ग्रहण केलाक बाद वर्तमान मे दिल्ली मे डिजिटल मार्केटिंग के कोर्स कऽ रहल मधुप्रिया लगभग डेढ़ हजार प्रतिभागी मे सर्वोच्च स्थान प्राप्त कऽ बोकारो सहित झारखंड आ’ बिहारक मान सेहो बढ़ओलनि अछि। बोकारो स्टील प्लांट के उपमहाप्रबंधक संजय कुमार झा व सुप्रसिद्ध साहित्यकार उषा झाक सुपुत्री मधुप्रिया एहि उपलब्धि पर प्रसन्नता व्यक्त करैत अपन परिवार व सभ शुभचिंतक के प्रति आभार प्रकट कयलनि अछि। मूलरूप सँ बिहार के समस्तीपुर जिला निवासी मधुप्रिया कहलनि जे माय ईश्वरक रूप होइत अछि आ’ हुनक प्रेरणास्रोत मांए रहलनि अछि। ओ सदैव आगू बढ़बाक लेल प्रोत्साहित करैत छथि। एहि प्रतियोगिता मे भाग लेबाक लेल सेहो माय प्रेरित कयलनि संगहि पिता श्री संजय कुमार झा, पैघ बहिन रश्मिप्रिया आ’ छोट बहिन माही झाक सेहो सतत् समर्थन भेटल।

शहद सन मीठ बोली, सौम्य व आकर्षक व्यक्तित्वक धनी मधुप्रियाक कहब अछि जे आजुक लड़कीसभ मे दुनिया जीतबाक साहस अछि। अगर वो किछु दिल सँ प्राप्त करबाक लेल मेहनति करैत अछि तऽ ओहि मुकाम के जरूर हासिल कऽ लेैत अछि। मधुप्रिया स्कूली जीवन मे पढ़ाई के संगहि खेल-कूद, नृत्य आदि मे सेहो बढ़ि-चढ़िकऽ हिस्सा लैत छलीह।
‘वनिता’ पत्रिकाक कवर गर्ल बनबाकल लेल आयोजित प्रतियोगिता मे 18 सँ 25 वर्ष तक के लड़कीसभ सँ 31 दिसंबर 2018 धरि आवेदन आमंत्रित कएल गेल छल। एहि प्रतियोगिताक लेल 1470 प्रतिभागीक आवेदन भेजलनि। जाहिमे सँ चयन समिति विभिन्न मानदंडक आधार पर बेहतरीन 20 प्रतिभागीक चयन कऽ वनिता पत्रिका के फरवरी 2019 अंक मे हुनकासभक फोटो प्रकाशित कयलक आ’ चयन के विभिन्न मानदंड व पाठकसभ सँ प्रााप्त वोटिंग के आधार पर अंततः कवर गर्ल के चयन कएल गेल। विगत दिन 6 मार्च 2019 कऽ दिल्ली के विंडसर प्लेस स्थित इंडियन वुमंस प्रेस काॅर्प मे मुख्य अतिथि मिसेज इंडिया 2018 रनरअप तनुश्री त्यागी वनिता कवर गर्ल कांटेस्ट के विजेता मधुप्रिया के क्राउन पहिराकऽ सम्मानित कयलनि। वनिता पत्रिका के प्रभारी संपादक रश्मि काव पुष्पगुच्छ भेंट कय मधुप्रियाक स्वागत कयलनि।