मिथिला महिला समिति विभिन्न कार्यक्रमक संग मनओलक जूड़ शीतल
अरुण पाठक
बोकारो (झारखंड): मिथिलांचलक परंपरा मे जूड़ शीतल पावनि के एकटा अलग खासियति अछि। एहि पारंपरिक पावनि के शनिदिन (6 अप्रैल 2019) क मिथिला सांस्कृतिक परिषद, बोकारो के अनुषंगी इकाई मिथिला महिला समिति द्वारा विभिन्न कार्यक्रमक संग मनाओल गेल। नगर के सेक्टर-4ई स्थित मिथिला एकेडमी पब्लिक स्कूलक सभागार मे मटका प्रतियोगिता एवं बड़ी बनाबक खेलक आयोजन कएल गेल। कार्यक्रमक दौरान समितिक सदस्यासभ मनभावन सांस्कृतिक कार्यक्रमक प्रस्तुति कयलनि। शुभारंभ सर्वमंगल मांगल्ये... देवी स्तुतिक संग भेल। तकर बाद रामनवमी के अवसर पर सोहर नृत्यक प्रस्तुति कएल गेल। तत्पश्चात जूड़ शीतल के लऽकऽ मटका प्रतियोगिता एवं बड़ी बनाबक प्रतियोगिता आयोजित कएल गेल। अंत में रीना दास द्वारा प्रस्तुत चैतावर ‘सेजिया से सैंया रुठी गइलें हो रामा...’ गीतक संग कार्यक्रमक समापन भेल। मटका प्रतियोगिता मे मुन्नी झा, किरण मिश्रा आ पूनम लाल तथा बड़ी बनाबऽ प्रतियोगिता मे आशा झा, जयंती पाठक आ’ प्रीति राय क्रमशः पहिल, दोसर आ’ तेसर स्थान पर रहलीह।