डॉ आशा मिश्रा के साहित्य अकादमी सम्मान। - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

शनिवार, 20 दिसंबर 2014

डॉ आशा मिश्रा के साहित्य अकादमी सम्मान।


: शशि मोहन भारद्वाज 

डॉ आशा मिश्रा के साहित्य अकादमी सम्मान। 

दरभंगा : दरभंगा के लक्ष्मीसागर मोहल्ला निवासी डॉ आशा मिश्रा के हुनक मैथिली पुस्तक" उचाट " के लेल एहि सालक साहित्य अकादमी सम्मान देबाक घोषणा  कायल गेल अछि। खबर के बाद शहर में ख़ुशीक लहर अछि, आशा जीक ई पोथी बच्चाक  मनोविज्ञान पर आधारित एकटा उपन्यास अछि।  हिनकर एखन धरि चारिटा पोथी प्रकाशित भ चुकल अछि। ई मूल रूप स एकटा   गृहणी छथि। जे परिवारक काजक  संग-संग साहित्य मे रूचि राखैत  अपन लेखनी के बल पर ई हासिल केलनि अछि। हिनकर पति शहर के मुख्य चिकित्स्क छथि। आशा मिश्रा कहलनि जे हम ई सपनो मे नहि सोचने रहि जे की ई सम्मान हमरा भेटत। ई सम्मान अगिला वर्ष मार्च माह में दिल्ली में आयोजित विशेष समारोह में साहित्य अकादमी द्वारा प्रदान कायल जायत। विदित हो की साहित्य अकादमी जे २२ भाषा के साहित्यकार के पुरस्कार दै के घोषणा कयलक अछि। ताहि में   मैथिली भाषा में लेखन लेल आशा मिश्रा के चयन कायल जेल अछि। 

Post Top Ad