हावड़ा: मैथिली के संविधानक अष्टम अनुसूची मे शामिल भेलाक बाद। मैथिल सब देशक कौन-कोन मे दिसंबर मासमे मैथिली अधिकार दिवस मनबैत छथि। विगत दू साल स मिथिला सेवा समिति, मैथिली अधिकार दिवस मनबैत आबि रहल अछि। एहि क्रममे अहु बेर समिति रविकें 21 दिसंबर 2014 मने काल्हि मैथिली अधिकार दिवसक आयोजन केलक अछि. कार्यक्रमक आयोजन बेरूपहर 3 बजे सं बेलूड़ अवस्थित विद्यापति भवन, 178, ईस्ट सपुईपाड़ा, हावड़ा मे होयत। अपनेक सब गोटे आमंत्रित छि। एहि अवसर पर मैथिली अधिकार दिवस कार्यक्रममे भाखा पर विमर्शक संगहि कुमार शैलेन्द्र के श्रद्धांजलि देल जायत। कार्यक्रमक अंतिम सत्रमे कविगोष्ठीक आयोजन कएल जायत। एहि कार्यक्रम में कुमार शैलेन्द्र के सहयोगी रहल, श्रीमान अरविन्द ठाकुर आ अजित आज़ाद उपस्थित रहता।
