नवमिथिला'क उद्देश्य - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

बुधवार, 18 अक्टूबर 2017

नवमिथिला'क उद्देश्य


माँ मैथिली, मिथिला एवं मैथिलक लेल समर्पित एहि न्यूज़ वेबसाइट ''नवमिथिला'' केर उद्देश्य मिथिलांचलक उपेक्षित लोकनि केर बीच एक सशक्त स्वर बनबाक अछि. नवमिथिला स मिथिला-मैथिलक इतिहास एवं धरोहर के जिवंत रखबाक प्रयास अछि.
 आजुक परिदृश्य में मिथिला, मैथिली आ मैथिल पूर्ण विकासक आस मे कुहरि रहल अछि. ने सही रूपे मिथिलाक विकास भ रहल अछि, ने भाषा मैथिली केर ने मैथिल लोकनि केर. मैथिली में भाषा केर उपयोगक वास्तविक रूपरेखा एखन धरि स्था
पित नहि भ सकल अछि, से अत्यन्त्य चिंताजनक अछि. मैथिली में बजबाक शुरुआत हमरा लोकनि केँ घर सँ शुरू करय पड़त. अपना बच्चा में मैथिली बजबाक संस्कार आनय परत. हम शहर में रहैत छी, आ जहन गाम जाइत छी तहन हिंदी में बतियाए लगैत छी. इ चीज़ मैथिली भाषा केर विकास में सभ सँ पैघ बाधक अछि. शुरुआत जं हम-अहाँ नहि करब तहन आगू मिथिलाक अस्तित्वक लेल संकट अछि.
लोकतान्त्रिक व्यवस्था केर अंतर्गत हम अहाँ सरकार चुनैत छी, मनपसंद जनप्रतिनिधि चुनैत छी. सभ बेर एकहि टा यक्ष प्रश्न बनि क मुँह बओने रहैत अछि जे की मिथिला, मैथिल एवं मैथिली केर उत्थान भ रहल अछि? नहि त, आखिर किएक!
मिथिलांचल में रहयवला मैथिल लोकनि आन शहरक दिस पलायन क रहल छथि, की हुनका लेल गाम में, जिला में रोजगारक व्यवस्था नहि हेबाक चाही. मिथिला क्षेत्र में बुनियादी सुविधा केर अभाव अछि, से किएक? कतेको रास प्रश्न अछि, जकर उत्तर तकबाक जरुरति अछि.
मैथिली मे साहित्य-संगीतक अपार संभावना अछि, मुदा समाचार पत्रक वा समाचार माध्यम केर कम. सभ स पैघ कारण अछि वित्तीय असुविधा. ओकर बाद सञ्चालन करब ओ कार्यकुशलता सेहो जरुरी अछि.
मिथिला, मैथिली, एवं मैथिलक पूर्ण उद्धार केर लेल संपूर्ण मिथिलांचल वासी एक संग अयबाक चाही आ नव दिशा देबाक प्रयास करबाक चाही. मिथिलाक उत्थान के नव दिशा दियौ. निरंतर प्रयास स एहि में बदलाव अवश्य संभव छै. फेर कहब- मैथिली बजबाक शुरुआत घर स कयल जाउ. एहि स माँ मैथिली केँ हम सब सम्मान द सकैत छी. एहि रुपे हम माय, मातृभाषा एवं मैथिली केर मान बढ़ा सकैत छी.
मिथिला, मैथिली दिशा में नवमिथिला एक छोट प्रयास अछि. जकरा अहा सभ केर आशीर्वाद एवं अनंत सहयोग चाही. अपन सहयोग आ आशीर्वाद बनओने राखी, जाहि स ''नवमिथिला'' नव दिशा में आगू बढ़ैत रहय.
दियाबाती, काली पूजा एवं लोक आस्थाक महापावनि छठि केर शुभ अवसर पर सभ गोटे केँ
''नवमिथिला'' परिवारक दिस स हार्दिक शुभकामना एवं अनंत मंगलकामना...
जय मिथिला..जय मैथिली


आकाश राय
प्रधान संपादक

Post Top Ad