दरभंगा - चाहपत्ती बुझि चाह मे द देलक माहुर, एकहि परिवारक चारि गोटेक मृत्यु - नव मिथिला - maithili news Portal

Breaking

Post Top Ad

Post Top Ad

गुरुवार, 2 नवंबर 2017

दरभंगा - चाहपत्ती बुझि चाह मे द देलक माहुर, एकहि परिवारक चारि गोटेक मृत्यु

दरभंगा. 02 नवंबर. जिलाक पतोर ओपी क्षेत्रक उघरा पंचायतक नोनिया टोल मे विषाक्त चाह पीबय सँ एकहि   परिवारक चारि लोकक मृत्यु भ गेल. एहि मे दू टा नेन्ना आ दू पैघ छथि. मृतक मे लालटून महतोक 11 सालक पुत्र प्रकाश महतो, प्रकाश महतोक पांच सालक भैगनी अर्चना कुमारी, 70 सालक दुखी महतो आ 75 सालक रामस्वरूप महतो शामिल छथि. खबरि सुनिते गाम मे हाहाकार पसरि गेल.
घटनाक सूचना भेटला पर लोकक भीड़ उमरि पड़ल.
ओतय, सूचना भेटला पर एएसपी दिलनवाज अहमद, बीडीओ अविनाश कुमार, बहादुरपुर थानाध्यक्ष राज नारायण सिंह आ पतोर ओपी प्रभारी बीडी राम घटनास्थल पर पहुँचलाह. पंचायतक मुखिया किरण देवी मृतकक परिजन केँ कबीर अंत्येष्टि योजना सँ 33 हजार टाका देलनि. बताओल जाइत अछि जे बैगन मे देबय   वला कीटनाशक दवाइ घर मे राखल छल, जकरा चाहक पत्ती बुझि क चाह मे द देलक. एहि चाह केँ पीबिते ठामे दू गोट नेन्नाक मृत्यु भ गेल, जखनकि दू गोटेक मृत्यु डीएमसीएच मे भ गेल. 

Post Top Ad